UPSC Previous Year Question Papers – Last 10 Years Free PDF Download
UPSC Main Exam 2024 Compulsory Subjects MAITHILI Previous Year Question Paper PDF Download
UPSC Main Exam 2024 Compulsory Subjects MAITHILI Previous Year Question Paper PDF Download
# मैथिली / MAITHILI / ( Compulsory )
निर्धारित समय : तीन घंटे Time Allowed : Three Hours
अधिकतम अंक : 300 Maximum Marks : 300
प्रश्नपत्र विषयक विशेष निर्देश
प्रश्नक उत्तर लिखबासं पूर्व देत गेल निर्देशकें ध्यानपूर्वक पट्टः
सम प्रश्न अनिवार्य अछि ।
प्रत्येक प्रश्न/भागक अंक ओकरा सामने अंकित अछि ।
उत्तर मैथिली (देवनागरी लिपि) मे लिखू, जाधार कि प्रश्नमे कोने दोसर निर्देश नहि हो ।
प्रश्नमे शब्दक संख्याक ध्यान राखू, अधिक वा कम शब्दमे उत्तर लिखला पर अंक काटल जा सकैत अछि । प्रश्न-सह-उत्तर पुस्तिकामे रिक्त छोडल स्थानकैं स्पष्ट रूपसें अवश्य काटि दी ।
## Question Paper Specific Instructions
Please read each of the following instructions carefully before attempting questions :
All questions are to be attempted.
The number of marks carried by a question / part is indicated against it.
Answers must be written in MAITHILI (Devanagari script) unless otherwise directed in the question.
Word limit in questions, wherever specified, should be adhered to and if answered in much longer or shorter than the prescribed length, marks may be deducted.
Any page or portion of the page left blank in the Question-cum-Answer Booklet must be clearly struck off.
UPSC Main Exam 2024 Compulsory Subjects MAITHILI Previous Year Question Paper PDF Download
100
Free PDF Download LINK Given in Last of This Post/ question Paper
UPSC Previous Year Question Paper, testbook ,UPSC Previous Year Question Paper PDF, UPSC Previous Year Question Paper PDF Download, UPSC Question Paper PDF Download, UPSC Previous Year Papers, UPSC Previous Year Papers PDF, UPSC Previous Year Paper Free D
UPSC Main Exam 2024 Compulsory Subjects MAITHILI Previous Year Question Paper PDF Download
(a) लोकतंत्र आ अभिव्यक्तिक स्वतंत्रता
(b) कȧ भारतमे पेयजल संकट सम्भाव्य अिह?
(c) जनजातीय संस्कृतिक संरक्षण : प्रयास आ सम्भावना
(d) अधजल गगरी छलकत जाय
Q2. निम्नलिखित गद्यांशकें ध्यानपूर्वक पछि ओकर आधार पर नीचाँ देल गेल प्रश्नक उत्तर स्पष्ट, सही आ संक्षिप्त भाषामे लिखू: 12×5=60
Please refer given pdf for Image and Diagram
सत्य भावक प्रकाश आनन्दित करैत अहि । असत्य भावमे तँ दुखक अनुभव होइत अहि । भड सकैत अहि जे कोनो व्यक्ति कँ असत्य भावमे सेहो आनन्दक अनुभव होइत होनि । हिंसा कड कड वा केकरहु धनक अपहरण कड कड वा अपन स्वार्थक लेल केकरहु अहित कड कड किछु व्यक्ति कँ आनन्द प्राप्त होइत छैक । मुदा, ई मनक स्वाभाविक वृत्ति नहि अहि । चोर कँ प्रकाश सँ अन्हार बेसी प्रिय छै । एहि सँ प्रकाशक श्रेष्ठतामे कोनो बाधा नहि पढैछ ।
जाहि भाव द्वारा हम अपनाकें दोसरमे मिला सकैत छी, वैह सत्यभाव अछि । प्रेम हमरा अन्य वस्तुसँ मिलबैत अछि, अहंकार पृथक करैत अछि । जाहिमे अहंकारक मात्रा बेसी रहैत अछि ओ दोसरसँ कोना भेट करौक ? तँ प्रेम सत्यभाव अछि, अहंकार असत्यभाव अछि ।
2
3. निम्नलिखित अनुच्छेदक सारांश लगभग एक-तिहाइ शब्दमे लिखू । एकर शीर्षक लिखबाक आवश्यकता नहि अछि । सारांश अपनहि शब्दमे लिखू ।
ई बात ध्यान देवाक अछि जे इष्यां व्यक्ति-विशेष सँ होइत अछि । ई नहि होइत अछि जे केकरहु ऐश्वर्य, गुण वा मान सँ सम्पन्न देखलहुँ, तँ ओकरहि सँ इष्यां भड गेल । इष्यां ओकरहि सँ होइत अछि जकर विषयमे ई धारणा होइत अछि जे लोकक दृष्टि हमरा संग-संग ओहू पर अवश्य पड़त वा पड़ेत होयत । अपना सँ दूर होयबाक कारणें अपना संग-संग जाहि पर लोकक ध्यान जयबाक निश्चय नहि होइत अछि ओकरे प्रति इष्यां उत्पन्न नहि होइत अछि । काशीमे रहड वला कोनो धनीक कें यूरोपक कोनो धनीकक बात सुनि कड इष्यां नहि हेतेक । हिन्दीक कोनो कवि कें अंगरेजीक कोनो कविक महत्त्व सुनि कड इष्यां नहि हेतेक । सम्बन्धी, बालसखा, सहपाठी आ पड़ोसीक बीच इष्यांक विकास बेसी देखल जाइत अछि । बालपन सँ जे आदमी एक संग उठैत-बैसेत देखल गेल अछि, ओहीमे सँ कियो एक-दोसरक उत्थान सँ जैरत देखल जाइत अछि । जँ दू संगीमे सँ कोनो एक नीक पद पर पहुँचि जाइत अछि तँ ओ एहि उद्योगमे रहैत अछि जे दोसर कोनो बहियाँ पद पर नहि पहुँचि जाय । प्रायः अपन उन्नतिक गुप्त बाधाकें पता लगबैत-लगबैत लोक अपन कोनो पैघ पुरान मित्र धरि पहुँचि जाइत अछि । जाहि समय संसर्ग-सूत्रमे बंधिकड हम-दोसर कैं अपना संग एक पाँतीमे ठाढ़ करैत छी, ओहि समय सहानुभूति, सहायता आदिक सम्भावना प्रतिष्ठित होयबाक संग-संग इष्यां आ ढेषक सम्भावनाक न्यों पहि जाइत अछि । अपने कोनो युक्ति सँ अपन उपकार आ उपकारक सम्भावनाक सूत्रपात करी आ एहि प्रकारें भविष्यकैं अनिश्चयक बाधामे झोंकी ई कखनो भए नहि सकैछ । भविष्यक अनिश्चयात्मकता अटल आ अजेय अछि । अपन लाख विद्या-बुद्धि सँ सेहो हम ओकरा एकदम सँ हटा नहि सकैत छी ।
Please refer given pdf for Image and Diagram
ओकर तुल्य नहियो होइ ताइयो जँ समाजक ई धारणा अछि कि हम ओहिसँ बढ़ि कड वा ओकर तुल्य छी तँ हम संतुष्ट रहब । इष्यांक घोर कष्ट नहि उठब पड़त । केहन अनसोहांत बात अछि जे वस्तु-प्रेरित सँ वंचित रहियो कड हम समाजक धारणा मात्रसँ संतुष्ट रहैत छी । इष्यां सामाजिक जीवनक कृत्रिमतासँ उत्पन्न एक विष अछि । एकर प्रभाव सँ हम दोसरक उन्नति सँ अपन कोनो वास्तविक हानि नहियो देखिकड व्यर्थमे दुखी होइत छी ।
न्यायाधीश न्याय करैत अछि, कारीगर पजेबा जोडैत अछि । समाज-कल्याणक विचार सँ न्यायाधीशक साधारण व्यवहारमे कारीगरक प्रति ई प्रकट करयब उचित नहि अछि कि अहाँ हमरा सँ छोट छी ? जाहि समूहमे छोट-पैघक अभिमान ठाम-ठाम दृढ़ भड जाइत छैक, ओकर भिन्न-भिन्न वर्गक बीच स्थायी इष्यां स्थापित भड जाइत अछि; आ संघ शक्तिक विकास बहुत कम अवसर पर दृष्टिगत होइछ । जँ समाजमे काजकड भिन्न-भिन्न प्राणी जीवन निर्वाह करैत अछि, परस्पर छोट-पैघक होलाहो नहि पीटल जाय, अपितु ओकर विभिन्नता कें स्वीकारल जाय, एहिसँ बहुत रास असंतोष समाप्त भड जायत । जतड धरि छोट-पैघक भाव अछि, बहुत प्रचारित भड जाइत अछि आ जीवन-व्यवहारमे निर्दिष्ट आ स्पष्ट रूपमे देखल जाइत अछि । ओतड लोकक शक्ति मात्र किछु विशेष-विशेष स्थान दिस प्रवृत्त भड ओहि-ओहि स्थान पर एकत्रित हुआ लगैत अछि आ समाजक कार्यक्षेत्रमे विषमता आबि जाइत अछि ।
(519 शब्द)
Q4. निम्नलिखित गद्यांशकें अंगरेजीमे अनुवाद करू : 20
कुटीर उद्योग आ लघु उद्योगक चर्चा आइ भारतमे एक बेर पुन: जोर पकडि रहल अछि । एहि प्रकारक उद्योग-धंधाक मूलमे एहन घरेलू लोरिक छोट-छोट काज-धंधाक परिकल्पना नुकायल अछि, जाहिसँ छोट स्थान पर कम पूँजी आ श्रमसँ स्थापित कड कियो व्यक्ति उत्पादनक भागीदार बनि अपन रोजी रोटीक समस्या हल कड सकैत अछि, बेकारी सँ लडि कड सामान्य स्तर पर अपन जीवन जी सकैत अछि । भारत एहन देशक लेल एहि प्रकारक छोट उद्योग-धंधा बेसी हितकर भड सकैत अछि, ई बात महात्मा गाँधी स्वतंत्रता-संग्रामक दिनमे बुझि गेल छलाह । ओ स्वतंत्र भारतमे ओही प्रकारक इकाइ स्थापित करबाक
परंपरागत उद्योगक नवीनीकरण करबाक प्रेरणा देने छलाह । किंतु, स्वतंत्रता-प्राप्तिक बाद, नेतृत्व एहि दिस ध्यान नहि देलक । पैथ-पैथ उद्योग धंधा एहिठाम विकसित भेल आ ओ सेहो समर्थ लोकक निजी संपत्ति बनि कड रहि गेल । इम्हर बढ़ैत जनसंख्या, शिक्षाक प्रचार, जागृति, अधिकारक माँग आ पहिचान बेरोजगारक निरंतर पैथ होइत पाँति – ई सभ आजुक जागरूक चिंतक कैं विवश कड देने अछि, देरिए सँ सही, देशक एहि प्रकारक बढ़ैत समस्या सँ मुक्तिक लेल गाँधीवादी सूरकैं अपनाबी – जे कि एहिठामक आवश्यकता पूरा कड सकैत अछि । परिणामस्वरूप आइ देशमे कुटीर-उद्योग जाल जकाँ पसरड लागल अछि ।
## Q5. निम्नलिखित गद्यांशकैं मैथिलीमे अनुवाद करू :
In our democratic system, the press has a vital role. While there has been large-scale expansion of the print and visual media in recent years, a focused approach to dealing with major societal and political issues has still to evolve. There is, as yet, excessive and exaggerated coverage of exposures and scandals and far too little well-informed comment or analysis of the various deep-rooted factors which generate the continuing malaise. The media could make an extremely useful contribution by devoting adequate coverage to tasks well done, highlighting the achievements of honest and efficient public servants and organizations, according special attention to developments in the remote and backward areas of our country. Our media is free and unfettered. It should be able to expose cases and incidents involving irregular and unlawful exercise of authority and abuses of all kinds. The existing ills in our socio-political environment will, on present reckoning, take considerable time to remedy. The Department of Personnel and Administrative Reforms should focus on establishing institutions responsible for all personnel matters — appointments, postings, transfers etc. — without any external interference. Also, there is a need for adoption of a robust code of ethics to be followed by those involved in public functioning.
2x5=10
(i) भानु 2
(ii) आलय 2
(iii) आिग 2
(iv) जल 2
(v) राित 2
(b) निम्नलिखित शब्दक विपरीतार्थक शब्द लिखू: 2x5=10
(i) घृणा 2
(ii) अग्रज 2
(iii) शान्ति 2
(iv) गति 2
(v) कठोर 2
(c) निम्नलिखित अनेकक शब्दक एक शब्द लिखू: 2x5=10
(i) माथ सँ पैर धरि 2
(ii) जकर गरदिन सुन्दर हो 2
(iii) कम खचर् करड वला 2
(iv) अपन हित चाहड वला 2
(v) कोनो बात कैं बुझबाक इच्छा 2
(d) निम्नलिखित शब्दकैं वाक्य मे प्रयोग करू, जाहि सैं अर्थ स्पष्ट भड जाय : 2x5=10
(i) पजेबा 2
(ii) चिक्कस 2
(iii) ककबा 2
(iv) िझटुका 2
(v) बाकुट 2
UPSC MAIN Compulsory Subjects Free PDF Download-MAITHILI
OTHER QUESTION PAPER
UPSC Main Exam 2024 Compulsory Subjects KANNADA Previous Year Question Paper PDF Download
UPSC Main Exam 2024 Compulsory Subjects HINDI Previous Year Question Paper PDF Download
UPSC Main Exam 2024 Compulsory Subjects GUJRATI Previous Year Question Paper PDF Download